Tuesday, July 31, 2012

बाल गजल

         बाल -गजल
कंटीरबा आ कंटीरबी माँ  बापक लेल दुनू आँखिक पुतली
एकटा अछि हीरा त' दोसर मोती भेल दुनू आँखिक पुतली

बौआ खेलय गेल गेंद कब्बडी  बुच्ची खेलय कनिआ-पुतरा
डाँर में घुघरू पैर  पाजेब बाजि गेल दुनू आँखिक पुतली

ठुमैक  चलै अछि बौआ ललन छ्मैक चलै बुच्ची लालपरी
जुडबै छाती माँ के बापक ओ शान भेल दुनू आँखिक पुतली

बौआ खेलक खोआ मिश्री बुच्ची खेलक  करकर कचरी माछ
फरिछ बाजै बुच्ची बौआ त' तोतला गेल दुनू आँखिक पुतली

रूबी लेल दुनू गौरब छै बौआ  राजाबाबू बुच्ची छै लालपरी
बनै कोनो हाकिम बच्चे माँ बाप लेल दुनू आँखिक पुतली
वर्ण-२३
रुबी झा

No comments:

Post a Comment